.....

पॉलिटिक्स ककरा कहैत छै ???

प्रकाश भैया के सुपुत्र, प्रकाश भैया सँ:

पापा - पापा इ "पॉलिटिक्स" ककरा कहैत छै ?

प्रकाश भैया : अहाँ के माँ घर चलबैत छथिन, हुनका सरकार मैन लिअ।

हम कमबैत छी, हमरा कर्मचारी मैन लिअ।

नोकरनी घरक काज करैत छथिन, हुनका मजदूर मैन लिअ।

अहाँ देश के जनता भेलों।

अपन छोट भाय कs दशक  भविष्य मैन लिअ।

प्रकाश भैया के सुपुत्र : आब हमरा पॉलिटिक्स खूब निक जोका बुझा जेल पापा।

एहि लेल कैल्ह राति मs हम देखलो "कर्मचारी मजदूर के संग भानस घर मs मौज करैत रहथिन"

सरकार सुतल रहे।

जनता के किनको कुनु चिंते नै, आर दशक भविष्य कनैत रहे। 

Read more...

डॉ. मनमोहन सिंह के भाषण ...

डॉ. मनमोहन सिंह भाषण दैत रहथिन, ओहि मs ओ एक खीसा सुनेलखिन :-

एक आदमी के तीन गोट बेटा रहे।  ओ आदमी अपन तीनो बेटा कs १००-१००  टक्का देलक आ कहलक जे बज़ार सs कुनु एहेन चीज किन आनू जाहि सs पूरा घर भैर जाय।

पहिलुक बेटा १०० टक्का के घास किन आनलक, मुदा घर नै भरल....

दोसर बेटा १०० टक्का के रुइया किन आनलक ओहियो सs घर नै भरल ...

तेसर (सभ सँ छोट) बेटा १ टक्का के मोमबत्ती आनलक जाहि सs पूरा घर प्रकाशित भो गेल।

आगा मनमोहन सिंह : अप्पन राहुल जी ओहि तेसर बेटा के समान छैथ।  राहुल जी जाहि दिन सँ राजनीती मs टांग राखला अप्पन देश उज्जवल प्रकाश आर  समृद्धि सs जगमगा रहल अछि।

ताबे मs पाछा सs अरविन्द केजरीवाल के आवाज आयल : "बांकी के ९९ टक्का की भेल ?" 

Read more...

कौन बनेगा कड़ोड़पति मs सोनिया गांधी...

कौन बनेगा कड़ोड़पति (KBC) मs सोनिया गांधी के हजार - दस हजार, लाख - दस लाख, कड़ोड़ के सीढ़ी पार करबाक बाद :-

अमिताभ बच्चन : सोनियाजी, आब अंतिम सवाल ५ कड़ोड़ के अपनेक स्क्रीन पर उपलब्ध अछि।

गुजरातक मुख्यमंत्री के छैथ ?

 क) लालू प्रसाद
ख) विलासराव देशमुख
ग) अर्जुन सिंह
घ) नरेन्द्र मोदी 

सोनिया गांधी : नरेन्द्र मोदी।

अमिताभ बच्चन : अहाँ कs पूरा विश्वास अछि ?

सोनिया गांधी : १०१ टक्का

अमिताभ बच्चन : तें की हम नरेंद्र मोदी कs लॉक के दी ?

सोनिया गांधी : अहाँ हुनका लॉक तें करू बदला मs हम अहाँ कs १०० कड़ोड़ नगद टक्का देब। 

Read more...

Maithili Joke - भाईजी हमरा माफ़ करब....

मूर्खाधिराज चन्दन भाय के गाम मs कियो पढ़ल-लिखल नै छैन्ह।  गलिमत एहेन जे हुनका गाम मs यदि किनको चिट्ठी आबैत छैन्ह तें ओ ओकरा पढ़ेबाक लेल बगल के गाम जैत छैथ।

बियाहक किछे दिनक बाद चन्दन भाय कs चंद्रमुखी भौजी के चिट्ठी मिलल।

चन्दन भाय चिट्ठी लेना हलसल-फुलसल बगल के गाम मs प्रफुल्ल  भैया लग पढ़ेबाक लेल पहुचला।

प्रफुल्ल भैया जहिना चिट्ठी पढ़ब सुरु केलखिन चन्दन भाय झब दके हुनकर दुनु कान मs अपन आंगुर (ऊँगली) गोजाइर् देलखिन।

चन्दन भाय (प्रफुल्ल भैया) सs : भाईजी हमरा माफ़ करब, हम बुझैत छि जे अपनेक कान मs बहुत पीड़ा होइत हेत।  मुदा कि करी ? हम चाहैत छि जे हमर कनियाँ के प्रेमक रस मs डुबल हुनकर पहिल चिट्ठी हमरा सीवा आरो कियो नै सुनैथ।  ताहि लेल अपनेक कान मs आंगुर गोजारने छि। 

Read more...

Maithili Joke - अहाँ अपन देल साड़ी वापस लs लिअ..

चन्दन भाय के नौकरानी, चंद्रमुखी भौजी (चन्दन भाय के कनियाँ) सs :-

नौकरानी : मालकिन, मालकिन अहाँ अपन देल साड़ी वापस लs लिअ।

चंद्रमुखी भौजी : किये, कि भेल जे वापस दs रहल छि ?

नौकरानी (मुंह लटका कs) : जहिया सs हम अहाँक देल साड़ी पहिर कs काज करे आबे लागलो, मालिक (चन्दन झा) हमरा दिस ताइकतो नै छैथ!

Read more...

Maithili Jokes - यौ भाय, भौजी कs कि भेलैन ?

चन्दन भाय अपन कनियाँ (चंद्रमुखी भौजी) कs अस्पताल मs एडमिड करेलखिन।

प्रफुल्ल भैया अस्पताल पहुचला चंद्रमुखी भौजी के हाल - समाचार लै लेल।

प्रफुल्ल भैया, चन्दन भाय सs : यौ भाय, भौजी कs कि भेलैन ?

चन्दन भाय : किछ नै भैया, असल मs कैल्ह बाथरूम मs नहाबैत घरी एकाएक हुनका चक्कर आइब गेलैन। ओ तs भगवान् के लाख - लाख शुक्रगुजार छि जे जितमोहन भाईजी अपन खिरकी सs हुनका नहाबैत देखैत रहथिन।  ओ हमरा आइब कs कहला नै तें आय अनर्थ भो जेतीयs ..........

Read more...
Related Posts Plugin for WordPress, Blogger...

  © Maithili Jokes. All rights reserved. Website design by : Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP